VIDEHA

महाबलीपुरममे

In पञ्जी, पद्य, मैथिली, रचना, विदेह, maithili, music, videha on जुलाई 16, 2008 at 8:17 अपराह्न

महाबलीपुरममे
असीम समुद्रक कातक दृश्य,
हृदय भेल उमंगसँ पूरित।
सूर्य-मंदिर पांडव-रथ संग,
आकश-द्वीपक दर्शन कयल हम।
नूनगर पानि जखन मुँह गेल,
भेलहुँ आश्चर्यित,गेलहुँ हमारा हेल।
लहरिक दीवारिसँ हमारा टकराय,
अंग-अंग सिहरि-सिहराय।
देखल सुनल समुद्रक बात,
बिसरल मन-तन लेलहुँ निसास।
सुनेलक ‘मणि’ गाइड ई बात,
एलथि विदेशी खोललथि ई सत्य,
पल्लव वंशक ई छल देन,
भारतवसी बिसरल तनि भेर।
मोन पडल अंकोरवाटक मंदिर,
राजा खतम भेल बिसरल जन,
हरि-हरि। टूटल इतिहासक तार जखन,
स्वाति भेल ह्रास अखन;
कास्पियन सागरक पानिक भीतरक मंदिर,
भारतीय व्यापारीक द्वारा निर्मित।
आब एखन अछि हम्मर ई हाल,
गामक बोरिंग पम्पसेट अमेरिकन इंजीनियरक खैरात।
छोडू भसियेलहुँ कतय अहाँ फेर,
प्रीति,पत्नी,हँसि-हँसि भेलथि भेड़।

टिप्पणी करे